22 “धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।
यदि असल काम कैरतोपरभी दुख भोगैले परतौ त, तुसब आसिस पाबबिही। तहैलेल लोकके धम्कीसे नै डरा, नै त चिन्ता कर।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
तैयो यहुदी अगुवासबमेसे बहुतो गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै। महज फरिसीसबके डरसे उसब आपन बिस्बासके बारेमे ककरो नै कहल्कै, कथिलेकी फरिसीसब यहुदी सभाघरसे निकाइलदेतै कैहके डराइछेलै।
कथिलेत यि कलह मचाइबला लोक चियै, सरा सन्सारके यहुदीसबमे हुलदङा मचाइते घुमैछै आ नासरी कहाइबला झुठा-पन्थके मुल अगुवा चियै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै।
हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।
जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइतै, उ बचाइतै।
लोकसब पावलके यि बात “हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ, सुनते मातर” उसब जोर-जोरसे हल्ला करैत कहेलाग्लै, “दुनियासे अकर नाम निसान मेटा दहै। कथिलेत यि जिबित रहैके योग्यके नै छै।”
उसब ओकरा जबाब दैत कहल्कै, “तु त एकदमसे आपन पापेमे जलमल चिही आ तु हमरासबके सिखाबैचिही?” तब उसब ओकरा सभाघरसे बाहर निकाइलदेल्कै।
उ बटिदारसब ओकरा अङगुर खेतसे घिस्याइते बाहर निकालके माइरदेल्कै।” तब येसु पुछल्कै, “आब अङगुर खेतके मालिक ओइसबके कथी करतै?
हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
धैन तोरासबके, अखन भुख लागलसब कथिलेत तुसब अघाइबिही! धैन तुसब, अखन कानैबलासब कथिलेत तुसब हाँसविही!
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।