20 येसु आपन चेलासबके ताकल्कै आ कहल्कै, “धैन तुहे, दीन-दुखीसब कथिलेत परमेस्वरके राज तोरेऔरके लेल चियौ!
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहे छौ, उ धनिक छेलै तयौ तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।
ताब येसु चेलासबके कहल्कै “हे हमर छोट जेर, नै डेरा! कथिलेत परमेस्वर तोरासबके आपन राज दैले खुसिसाथ तयार भेलछौ।
तकरबाद रजा आपन देहना कात ठारभेल लोकसबके कहतै, ‘हे हमर पितासे आसिरबाद पाबल लोकसब! ओइ राजके भोगबिलास करु, जकरा सन्सारके उतपतीएसे तोरासबके लेल तैयार करने छै।
हमरा तोहर कस्ट आ तोहर गरिबी थाहछै। महज बास्तममे तु धनिक चिही। हम ओकरासबके चिन्हैचियै, जे आपनके यहुदी त चियै कहैछै, महज बास्तममे नै चियै। उसब तोहर बिरोध करल निन्दा हम जानैचियै। उसब त सैतानके लोकसब चियै।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
परमेस्वरके धारमिक इन्साफके परमान यह्या चियै कि तुसब परमेस्वरके राजमे जाइके योग्य बन। तुसब ओहै राजके खातिर दुख सहैचिही।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
उसब एकदम संकटके परिक्छामे रहितोपरभी परसस्त आनन्दित भेलै आ गरिबीमे सेहो उसब उदार चितसे भेटी देल्कै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
येसुसङे खाइले बैठलहा लोकसबमे से एक गोरे यि बात सुइनके ओकरा कहल्कै, “उ लोक धैनके है, जे परमेस्वरके राजमे भोजन पाबतै।”
ओइ बखत तोरासबके पुरखा अबराहम, इसहाक, याकुब आ सब अगमबक्तासबके परमेस्वरके राजमे देखबिही महज तुसब आपनके बाहर फेकल जेबिही तब तुसब कानबिही आ दाँत किटकिटाइबिही।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
महज अबराहम ओकरा कहल्कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही।
लोकसबके बहौत बरका भिर देखके येसु पहार उपरमे गेलै आ ओते बैठलै, तकरबाद चेलासब ओकरलग एलै।