7 उसब दोसर नाहके सझियारसबके आइबके मदत करैले इसरा करल्कै। उसब आइबके दुनु नाह माछसे भरल्कै तै भारीसे नाहसब डुबेलाग्लै।
हमर बिस्बास योग्य सुजुगे, हम तोरा बिन्ती करैचियौ, कि अइ जनिसबके मदत कर, कथिलेकी यिसब हमर सङे-सङे सुसमाचारके काममे क्लेमेससङे आ हमर औरो सहकरमीसङे मेहनत करल्कै, जकर नाम जिबनके किताबमे लिखलछै।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
तकरबाद साउलके ताकैले बरनाबास टारसस सहर दिसन गेलै।
तब चेलासब भिरके छोइरके येसु जै नाहमे बैठल रहै, तहै नाहमे बैठके ओकरो आपनसङे ल्याके गेलै आ औरो नाहसब ओकरसङे छेलै।
जब उसब जाल फेकल्कै तब बहौतरा माछ परलै आ ओकरासबके जालसब फाटे लाग्लै।
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”