24 महज दुनियामे मानबके बेटाके पाप छमा करैके अधिकार छै से तुसब जान।” तब येसु लकबा मारल लोकके कहल्कै, “तु उठके आपन झोल्ङा उठा आ बोइकके घर जो।”
हम डैठके बिचमे मानबके बेटा जखा टाङतक लाम बस्तर लगाइने आ छातिमे सोनाके चाकर-चौरस फिता लगाइने एक गोराके हम देखलियै।
आ जोरसे अबाज निकाइलके कहल्कै, “तोहर टाङके भरमे ठार हो!” तब उ लोक सुनैत मातर उइठके चलेलाग्लै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
अतबे कैहके येसु जोरसे कहल्कै, “ए लाजरस, बाहर निकैलके या।”
आ ओकरा नियाइयो करैबला अधिकार देनेछै, कथिलेत उ मानबके बेटा चियै।
स्वरगसे उतैरके एल हम मानबके बेटा बाहेक कोइ नै स्वरगमे चरहल छै।
महज येसु ओकर हाथ पकैरके कहल्कै, “बेटी उठ!”
लगमे ज्याके लहासबला खटिया छुबल्कै, तब बोकैबलासब ठार भ्यागेलै। येसु कहल्कै, “ए जबान, हम तोरा कहैचियौ, उठ!”
येसु ओकर उपरमे हाथ राइखके कहल्कै, “हम चाहैचियौ। तु निक भ्याजो।” तखुन्ते कोढि-कुस्टी लागल लोक निक भेलै।
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
येसु ओकरा कहल्कै, “से बात अहि कैहदेलियै। तैयो हम तोरासबके कहैचियौ, एक दिन तुसब मानबके बेटाके सक्तीसाली परमेस्वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलमे आबैत देखबिही!”
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
जब येसु कैसरिया फिलिप्पीके सहरमे पुग्लै तब आपन चेलासबके पुछल्कै, “लोकसब मानबके बेटाके के चियै कैहके कहैछै?”
महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्कै, “उठ, तोहर बोरिया-बिस्तर बोक आ घर जो।”
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
लोकसब तहै बखत एकटा लकबा मारल लोकके झोल्ङामे आनल्कै आ भितरमे येसुके अगा आनैले कोसिस करल्कै।
ओइ लकबा मारल लोकके, ‘तोहर पाप छमा भेलछौ’ कैहके, कहनाइ कि, ‘उठके चल कोन असल हेतै’?