10 सिमोन सङे-सङे सझियारमे काम करैबला जब्दियाके बेटासब याकुब आ युहन्ना ओहो छक्के परलै। येसु सिमोनके कहल्कै, “नै डेरा, आबसे तु माछ नै महज लोकसबके पकैरके हमरलग आनबिही।”
“फेन स्वरगके राज त समुन्दरमे माछ मारैले राखल एकटा जाल जखा चियै, जैमे सब परकारके माछ परैछै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।”
येसु उसबके कहल्कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।”
उसब दोसर नाहके सझियारसबके आइबके मदत करैले इसरा करल्कै। उसब आइबके दुनु नाह माछसे भरल्कै तै भारीसे नाहसब डुबेलाग्लै।
तितस हमर सङी चियै आ तोरासबके सहायता करैके लेल हमरसङे काम करैछै। ओकरसङे जाइबला भाइसबके खिरिस्टके महिमाके लेल मन्डलीसब पठाइनेछै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
सिमोन (जकरा येसु पतरुस नाम देने छेलै) आ अन्दरियास (सिमोनके भाइ), याकुब, युहन्ना, फिलिप, बारथोलोमाइ,
तकरबाद जब्दियाके बेटासब आपन माँ सङे येसु लग एलै आ ओकर अगा ठेङहुनिया द्याके बिन्ती करल्कै, “हमर उपर दया करु।”
तब तुरन्ते येसु ओइसबके कहल्कै, “नै डरा, हम्ही चियौ, साहस कर।”
ओतेसे जाइत-जाइत औरो दुइ गोरा जब्दियाके बेटासब याकुब आ ओकर भाइ युहन्नाके देखल्कै। उसब आपन बाबु जब्दिया सङे जाल तुनैत देखल्कै। उ ओइसबके आपनलग बोलाइल्कै।
सिमोन आ ओकर सङि-साथीसब बहुतरा माछ पकरने देखके छक्के परलै।
सिमोन पतरुस, जौवा कहाइबला थोमा, गालिलके काना सहरमे रहैबला नथानेल, जब्दियाके दुनु बेटासब आ ओकर औरो दुनु चेलासबसेहो सङे छेलै।
तब उसब होसमे आइबके सैतानके फन्दासे निकैल सकैछै। कथिलेत सैतान आपन इक्छा पुरा करैके खातिर ओइसबके बसमे राखनेछै।