25 दोसरो एकटा बात हम तोरासबके कहैचियौ, इजराएलके एलिया अगमबक्ताके बखत ओते बहुते बिधवासब रहै, तै बखत साढे तिन बरिस बरखा नै भेलै आ देसमे बरका रौदी भेल छेलै।
एलियो आपने सबके जखा लोक रहै। उ पानी नै परे कैहके भक्तिसाथ परथना करल्कै त, साढे तिन बरिस तलिक पानी नै परलै।
कि आपन इक्छा लागल लोकके आपने पैसा-कौरी दैले हमरा अधिकार नै छै? हम ओकरा दया करलियै त तोरा कथिले डाह हैछौ’?”
तहै बखत येसु पबितर आत्मामे खुसीसे भैरके कहल्कै, “हे परमेस्वर पिता, स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत अहाँ यि बातसब बुधिमान आ समझदारसे घोसाइरके राखल बात छोट बच्चासबमे परगट करलियै, कथिलेत पिता, अहिनङ करैले अहाँके इक्छा लागल।
कथिलेत सब बात परमेस्वरके योजना आ इक्छा अनुसार भेलछै। परमेस्वर अपनासबके आपन खुसिसे खिरिस्टमे छानल्कै। यि बात उ पहिनेसे करल योजना अनुसार भेल छेलै।
ओकरे सब ग्यान आ बुइधमे परमेस्वर खिरिस्टमे पुरा करबै कैहके सोचलहा गुप्त योजनो अपनासबके देखाइल्कै।
हे लोकसब, परमेस्वरके मुहे-मुहे लागैबला तुसब के चिही? कि माटिके बरतन बनाबैबलाके “हमरा कथिले एहेन बनेलियै” कहैछै से?
कथिलेत परमेस्वर मोसाके अनङ कहल्कै, “जकरा हम किरपा करैले चाहबै, तकरा हम किरपा करबै आ जकरा हम दया करैले चाहबै, तकरा हम दया करबै।”
उसब परमेस्वरके बचन सुनाबैतक पानी नै परे कैहके ओकरासबसङे अकास बन्द करैबला सक्तीछै। ओकरासबसङे पानीके भबसबके लहु आ इक्छा लागल बखत पिरथिबीमे हर तरहके बिपत आनैबला सक्तीछै।