22 सब लोकसब येसुके परसन्सा करल्कै आ अनुगरहसे भरल येसुके बचन सुइनके छक परलै। तब उसब कहैछेलै, “कि यि योसेफके बेटा नै चियै?”
उसब कहल्कै, “कि यि लोक योसेफके बेटा, येसु नै चियै? कि हमसब अकर माँ-बाबुके नै चिन्हैचियै? तब अखैन यि लोक कनङके, ‘हम स्वरगसे उतैरके एलचियौ’ कहैछै त?”
एहेन सत बचन सिखा जकरा कोइयो नै काटे सके आ हमरासबके बिरोधमे उठैबला सरममे परे।
महज स्तिफनसके बोलैत खिना पबितर आत्मा अतहेक निक बुइध देल्कै कि उसब ओकर सामने नै टिके सक्लै।
पहरेदारसब जबाफ देल्कै, “उ लोक जखा त अखुनतक कोनो लोक नै बोल्नेछै!”
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
ओकर बिचार आ उतर दैत सुइनके ओइ ठामके सब लोकसब आस्चरजमे परलै।
येसुके देखके मरियम आ योसेफ आस्चरज मानल्कै, तब मरियम कहल्कै, “बेटा, तु हमरासबके कथी करलिही? देख त, तोहर बाप आ हम तोरा ताकैत-ताकैत थकित एलचियौ।”
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “आइ पबितर धरमसास्तरमे लिखल यि बातसब सुइनके तोरासबमे पुरा भेलछौ।”
तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारे धरमसास्तरमे मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”