13 ओकरासबके युहन्ना कहल्कै, “सरकारके नियम अनुसार जतेक तोकलछै ओइसे बेसी नै उठाइ जो।”
चोरसब, लोभ करैबलासब, पियक्करसब, निन्दा करैबलासब आ लुटपाट करैबलासब परमेस्वरके राजके हकदार हैले नै सक्तै।
जक्कैया परभुके अगा ठार भ्याके कहल्कै, “देखु, परभु हम आब आपन सब धन-सम्पतीके अधा हिस्सा गरिबसबके बाइट देबै आ ककरोसे ठैक फुस्याके कुछो लेने हेबै त हम ओकर चौबर फिरता कैरदेबै।”
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
“लोकसब तोरासबसे जेहन बेबहार करे कैहके चाहैचिही त, तुहुसब ओइसबसे तहिना बेबहार कर, कथिलेत मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके सिक्छाके मुल बात एह्या चियै।
अहैलेल अतहेक बरका साक्छीके भिर अपनासबके चारुदिसन भेलाके कारनसे सब परकारके बाधा आ असान तरिकासे ओझराइबला पापसबके हटाके धिरजसाथ दौरैले परतै।
बटी कट्टासब सेहो बप्तिस्मा लैले एलै, तब ओकरा पुछल्कै, “गुरु जी हमसब कथी करु?”
सिपाहीयोसब पुछल्कै, “हमरासबके कथी करेपरतै?” युहन्ना ओकरासबके कहल्कै, “तुसब ककरोसे जबरजस्ती कैरके आ झुठा आरोप लग्याके एको टका बेसी नै उठा। बरु आपने कमाइमे सन्तुस्ट रहैजाइजो।”