11 युहन्ना ओकरासबके जबाफ देल्कै, “जकरसङे दुइटा जमा छौ, से कोइ नै भेल्हाके एकटा दयादेतै, जकरसङे खाइबला चिज छौ से कोइ नै भेल्हा सङे बाइटके खेतै।”
जे लोकसङे सन्सारके धन-सम्पैत छै, महज आपन भाइके घटि-कमीमे देखभाल करैले मन कठोर करैछै त वेहन लोक परमेस्वरके कनङ परेम करे सक्तै?
आन लोकके भलाइ करैले, असल काममे धनिक हैले, खाचोमे परलहा लोकसबके सहायता करैले आ आपनसङे भेल चिज औरोसबके दैले ओइसबके कह।
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
यदि कोइ परमेस्वरके परेम करैचियै कहैछै आ आपन भाइ-बहिनके घिरना करैछै त उ झुठ छै। आपनसे देखल भाइके परेम नै करैबला नै देखल परमेस्वरके कनङ परेम करे सक्तै?
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।
महज भितरोमे राखल चिजसब गरिबसबके दान दहै, तब तोरासबके खातिर सबचिज सुध हेतौ।
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।
आ कहल्कै, ‘करनेलियस, परमेस्वर तोहर परथना सुन्नेछौ आ तोहे गरिबसबके दान करल असल कामसब उ जानैछै।
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
यहुदासङे पैसाके बटुवा छेलै तैल्याके कोइ-कोइ सोच्ने छेलै कि येसु पाबैनके लेल कुछो समान चाही से किनके आन या कुछ गरिबोसबके बाइट दहै कहने हेतै।
जक्कैया परभुके अगा ठार भ्याके कहल्कै, “देखु, परभु हम आब आपन सब धन-सम्पतीके अधा हिस्सा गरिबसबके बाइट देबै आ ककरोसे ठैक फुस्याके कुछो लेने हेबै त हम ओकर चौबर फिरता कैरदेबै।”
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
हे हमर भाइ-भैयासब, यदी कोनो लोक “हम परमेस्वरमे बिस्बास करैचियै” त कहतै, महज ओकर इक्छा बमौजी नै चल्तै त कोन फाइदा? कि एहेन लोकके परमेस्वर बचाइतै त?