6 उ त अते नै छौ, महज उ जिके उठल छौ। जब उ गालिलमे रहौ, तखनु कथी कहने छेलौ से बात याद कर,
येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम मानबके बेटाके बहुत दुख काटैले परतै आ उ अगुवा, मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे मरके जि उठतै।”
तब येसु आपन चेलासबके एहेन सिक्छा दैले लाग्लै, “मानब बेटाके बहुत दुख भोगैले परतै आ उ अगुवासबसे, मुल पुजारीसबसे आ धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे फेनो जिके उठतै।”
उ अते नै छौ महज जनङ कहने छेलै तहिनङ उ जिके उठल छौ। अते या, ओकरा राखलहा ठामके देख।
आब “ध्यानसे सुन, हम तोरासबके कथी कहैचियौ, मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ।”
“हौ सरकार! हमरासबके याद छै जे उ ठक आदमी जिबित भ्याल बखत ‘हम तिन दिनके बाद फेनो जिबित भ्याके उठबै’ कहने छेलै।
ओह्या दिनसे येसु आपन चेलासबके खोइलके सब बात कहैले लाग्लै, “हम यरुसलेम जेबै आ ओते अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबसे बहुत दुख भोग्बौ, मारल जेबौ आ तेसर दिनमे फेनो मिरतुसे जिके उठबौ।”
कथिलेत जहिनङे योना तिन दिन आ तिन रात बरका माछके पेटमे छेलै, तहिनङे मानबोके बेटा तिन दिन आ तिन रात पिरथिबीके पेटेमे रहतै।
महज उ लोक ओकरासबके कहल्कै, “नै डेरा! तुसब कुरूस पर लटक्याल नासरतके येसुके खोजैचिही नै? उ त जिके उठल छौ आ अते नै छौ। ओकरा राखल ठाममे देख!
तब उ जनिजाइतसब डरसे आपन-आपन मुरी तरमाथे गोइतलेल्कै, महज उ दुनु लोक ओइसबके कहल्कै, “तोरौरके जिते लोकके कथिले मरल लोकसबके बिचमे ताकैचिही?
आ उ लोकसब ओइ दुनुगोराके कहल्कै, “परभु साँचोके जिके उठलछै आ सिमोन लग परगट भेल छै!”
महज ओकरा परमेस्वर मरनके दुखसे छुटकारा द्याके जिबित करल्कै। कथिलेत ओकरा मिरतुके अधिनमे रहनाइ असम्भब छेलै।
सङे रहैत यि सब बात त हम तोरासबके पैहनै कहने छेलियौ, नै?