52 तब उसब ओकर आराधना करल्कै आ खुसी हैत यरुसलेममे घुइमके गेलै।
अचानक येसु ओइसबके अगा देखा परलै आ कहल्कै, “तोरासबके सान्ती!” उसब लगमे जाके गोरलागल्कै।
अहिनङे अखुन तुसब सोक करबिही, महज हम फेनो तोरासबके भेटैले एबौ त तोरासबके हिरदय खुसीसे भरतौ। तब कोइ नै तोरासबके खुसी तोरासबसे छिन्तौ।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
‘हम अतेसे ज्यारहल चियै आ फेनो तोरेसबलग घुइमके एबौ’ कैहके कहल हमर बात त तुसब सुन्बे करनेचिही। यदी तुसब हमरा परेम करतिही त, हम पितालग ज्यारहल चियै से सुइनके तुसब खुसी हेत्ही, कथिलेकी पिता हमरसे महान छै।
जब उसब येसुके देखल्कै तब ओकरा गोरलागल्कै, महज ककरो-ककरो मनमे संखा भेलै।
महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदी हम नै जेबौ त तोरासबके सल्लाह दैबला पबितर आत्मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ।
आसिरबाद दैतकाल, येसु उसबसे बिदा भेलै आ स्वरग दिसन उठ्यालगेलै।
तब उसब लगातार मन्दिरमे जमा भ्याके परमेस्वरके इस्तुति-परसन्सा करैत रहलै।
तब उसब जैतुन नामके पहारसे यरुसलेम घुइमके एलै। यरुसलेमसे यि पहार लगभग एक किलोमिटर जतेक दुर परैछै।