39 हमर हाथ-टाङसब देख, हम्ही चियौ, हमरा छुइबके देख! कथिलेत भुतके हड्डी-मौस नै रहैछै महज तुसब त देखैचिही, हमर त छै।”
तब येसु थोमाके कहल्कै, “तोहर औङरी अते राख आ हमर हाथ देख। हमर कोइखमे आपन हाथ ढुका। तु सङका नै कर बरु बिस्बास कर।”
सुरुवेसे भेल, हमसब आपने कानसे सुनल, आपने आँखसे देखल यि जिबन दैबला बचनके बिसयमे तोरासबके लिखैचियौ जकरा हमसब गौरसे देख्ने चियै आ आपने हाथसे छुबने चियै।
अतेक कहैत येसु आपन हाथ आ कोइख चेलासबके देखेल्कै। उसब परभुके देखके बहुत खुसी भेलै।
अपनासबके सान्ती दैबला परमेस्वर आपनेसे हरतरहसे तोरासबके पबितर राखे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक तोरासबके आत्मा, परान, देह निरदोस रहे से हमर आसा चियै।
अकर अलाबा अपनासबके अनुसासनमे राखैबला सारिरीक बाबु छेलै। अपनासब ओकरा आदर करैछेलियै। अनन्त जिबन पाबैले औरो अपनासब आपन आत्मिकी बाबुके अधिनमे रहैले परतै।
औरो चेलासब थोमाके कहल्कै, “हमसब परभुके देखलियै।” महज थोमा कहल्कै, “जबतक हम ओकर हाथमे ठोकल काटीके चेख नै देख्बौ आ कांटी ठोकल खाइधमे औङरी नै ढुकाइबै आ ओकर कोइखमे आपन हाथ नै ढुकाइबै ताबे तलिक हम बिस्बास नै करबौ।”
चालिस दिनतक कुरूसके मिरतुसे जिबित भ्याल परमान दैले बहुतो बेर ओइसबके अगा देखा परलै। उसब ओकरा देखल्कै आ ओकरासबसे परमेस्वरके राजके बारेमे बतेल्कै।
तब येसु जोर-जोरसे कहल्कै, “हे पिता, हम आपन आत्मा अहाँके हाथमे सोपै चियै!” अतेक कैहके ओकर परान छुइट गेलै।
महज येसु उसबके कहल्कै, “तुसब कथिले डेराइचिही? कथिले मनमे सङका करैचिही?
एहेन कैहके उ आपन हाथ-टाङसब देखेल्कै।