27 तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”
सब अगमबक्तासब येसुके बारेमे गबाही देनेछै, जे कोइ ओकर उपर बिस्बास करतै ओइसबके पाप ओकर नाममे छमा हेतै।”
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारे धरमसास्तरमे मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब केहन मुरुख लोकसब चिही, तोरासबके हिरदय अतहेक मोट भ्यागेल्छौ, कि अगमबक्तो सबके कहलहा बातके बिस्बास नै करैचिही?
यि ओह्या मोसा चियै, जे इजराएलीसबके कहने रहै, ‘परमेस्वर हमरा तोरे सबके खातिर हमर जखा अगमबक्ता पठाइतौ।’
“अहिनङे सामुएलसे ल्याके पाछेके सब अगमबक्तासब बोलल छै। उ सबकोइ अहै दिनसबके भबिसबानी करने छै।
मोसा कहने रहै, ‘परमपरभु परमेस्वर हमर जखा तोरेसबके भाइ-भैयारीके बिचसे एकटा अगमबक्ता तोरासबके खातिर ठार करतौ। उ तोरासबके जे-जे कहतौ उ सब बात तोरासबके सुने परतौ।
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”
बिना खिसासे येसु ओकरासबसङे नै बोल्लै, महज आपन चेलासबके परोछमे सबके अरथ खोइल देल्कै।
ओतबे नै, हमरा पठाबैबला पिता आपनेसे हमर बारेमे साक्छी देने छै। तुसब नै त ओकर अबाज सुन्ने चिही नै त ओकर रुपे देख्नेचिही
यसैया यि बात कहल्कै, कथिलेकी उ येसुके महिमा देखल्कै आ ओकर बारेमे बाज्लै।
तहिनङ येसुके दुख काटे परतै कैहके परमेस्वर अगमबक्ताके मुहसे करल अगमबानी पुरा करल्कै।
तब फिलिप पबितर धरमसास्तरके एह्या पाठसे सुरु कैरके ओकरा येसुके सुसमाचार सुनाइल्कै।