25 तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब केहन मुरुख लोकसब चिही, तोरासबके हिरदय अतहेक मोट भ्यागेल्छौ, कि अगमबक्तो सबके कहलहा बातके बिस्बास नै करैचिही?
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “अखुनतक तुसब अबुझेचिही? जे बाहरसे लोक भितरमे ढुकैछै, उ ओकरा असुध नै करैछै से तुसब नै जानैचिही?
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।
मानबके बेटाके समबन्धमे जे धरमसास्तरमे लिखल छै, तहिने ओकरा जाही परतै, महज धिक्कार छै ओइ लोकके जे मानबके बेटाके पकराइतै। उ लोक जलम नै लेने रहतियै त ओकरलेल असल हेतियै।
यि बातसब सुइनके हमरासबके बिचसे कोइ-कोइ चिहानमे ताकैले गेलै आ उ जनिजाइतसब जे बातसब कहने रहै, तैहनङे देखल्कै, महज येसुके नै देखल्कै।”
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।