6 तब पिलातस यि बातसब सुइनके पुछल्कै, “यि लोक गालिलके चियै?”
तकरबाद जनगननाके समयमे गालिलके यहुदा कहाइबला लोक ठार भेलै आ कतहेक लोकसबके आपन पछा लगेल्कै। ओहो मारलगेलै आ ओकरो पछा लागैबला तितर-बितर भ्यागेलै।
ओइ बखत कतहेक लोकसब ओइ ठाममे छेलै, जे गालिलीसबके बारेमे येसुके कहैछेलै, “पिलातस हतिया कैरके ओकरासबके लहु बैलभोगके लहुसङे मिलादेनेछेलै।”
पतरुस ओइ बाहर अङनामे बैठल छेलै। एकटा नोकरनी आइबके ओकरा कहल्कै, “अहुँ त गालिलके निबासी येसुके सङे छेलियै।”
महज उसब जोरसे हल्ला तोइरके कहल्कै, “यि लोक गालिलसे सुरु कैरके पुरे यहुदिया आ अते तकके सब लोकसबके आपन सिक्छासे बहकाबैछै।”
जब येसु हेरोदके इलाकाके लोक चियै से जानल्कै तब पिलातस ओकरा हेरोद लग पठादेल्कै। तै दिन हेरोद ओहो यरुसलेमे मे रहै।