50 योसेफ नामके एक गोरा महासभाके सदस छेलै, उ असल आ इमान्दार लोक रहै।
कथिलेत उ असल, पबितर आत्मा आ परमेस्वरके बिस्बासमे भरपुर भेल लोक रहै। तब बहौत लोकसब अकरे कामसे उत्साहित भ्याके बहौत लोकसब परभु येसुके बिस्बास करल्कै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
आ ओकर बिसयमे लिखल सब बात उसब पुरा करलाके बाद उसब येसुके कुरूससे निचा उताइरके चिहानमे लज्याके राखल्कै।