33 जब उसब खप्परे कहैबला ठाउमे एलै, तब ओते उसब येसुके कुरूसमे लटकेल्कै, ओइ दुइटा डाकुवोसबके, एकटाके देहना कता आ दोसरके बमा कता कुरूसमे लटकादेल्कै।
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।
आपन मिरतु कनङके हेतै कैहके येसुके कहल बात पुरा हैकेलेल ऐहेन भेल छेलै।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
आ ओकर बिसयमे लिखल सब बात उसब पुरा करलाके बाद उसब येसुके कुरूससे निचा उताइरके चिहानमे लज्याके राखल्कै।
हमरासबके पितापुरखाके परमेस्वर येसुके मरलसे जियाइल्कै, जकरा तुसब कुरूसमे लटकाके मारने छेल्ही।
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।
उजार जगहमे जहिनङ मोसा पितैरके साँपके उठेल्कै तहिनङे मानब-बेटा उठाल जेतै।
‘मानबके बेटा पापी लोकसबके हाथमे परतौ, कुरूसमे लटक्याल जेतौ आ तेसर दिनमे जिबित भ्याके उठतौ’ कि तोरासबके याद नै छौ?”
“तोरासबके थाहे छौ कि आइके दुइ दिन बाद निस्तार पाबैन छै। ओहै समयमे हम मानबके बेटा कुरूसमे टाङैके लेल पकराएल जेबै।”
तब ओकरा गैर-यहुदीसबके हाथमे सौपतै। ओकरा गिल्ला करतै, कोरासे पिटतै आ कुरूसमे टाङइके माइरदेतै। महज फेनो उ तेसर दिनमे जिबित भ्याके उठतै।”