27 लोकसबके बहुत बरका भिर येसुके पछा-पछा लागल छेलै। ओइ भिरमे जनिजाइतोसब छेलै, उ जनिजाइतसब येसुके खातिर कानैत-खिजैत आ सोक करैतरहै।
ओइठाम भिर भेल्हा सब लोकसब कानैखिजै छेलै। येसु ओकरासबके कहल्कै, “नै कानै, उ नै मरल छौ, महज सुतल छौ।”
भुतसब आ रोग-बिमारसे निक भेल्हा जनिसब सेहो पछा लाग्लै। ओइमेसे सात भुत लागलसे निक भेल मग्दलिनी कहैबाली मरियम सेहो छेलै।
जनिजाइतोसब दुरेसे ठार भ्याके देखरहल छेलै। ओइसबमेसे मरियम मग्दलिनी, छोट याकुब आ योसेसके माँ मरियम आ सलोमी सेहो छेलै।
गालिलसे येसुसङे एल्हा जनिजाइतसब योसेफके पछा-पछा गेलै आ ओइ सरामे ओकर लहास कनङके राख्लछै सोहो देखल्कै।
बहौत जनिसब सेहो ओतै छेलै, उसब दुरेमे ठार भ्याके यि घटनासब देखैछेलै। उसब येसुके सेबा टहल करैत गालिल परदेससे पछुवाइत एलछेलै।
‘हमसब तोरासबके खातिर बौसली बजेलियौ, तैयो तुसब नै नाचलिही। तोरासबके खातिर बिलापके गित गाबलियौ महज तुसब सोक नै करलिही।’
तब येसु ओइसब दिसना घुइमके कहल्कै, “हे यरुसलेमके बेटीसब, हमर खातिर तोरौरके नै कान, महज तोरौरके आपन खातिर आ आपन धिया-पुताके खातिर कान।
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब कानबिही आ खिजबिही, महज सन्सार खुसी हेतौ। तुसब दुखमे परबिही, महज तोरासबके दुख, खुसी आ आनन्दमे बदैल जेतौ।