25 जेनङ लोकसब माङ करने रहै, पिलातस बारब्बाके छोइरदेल्कै, जे कोइ बिदरोह आ हतियाके अभियोगमे जहलमे परल छेलै। महज येसुके ओहैसबके इक्छामे जिमा लग्या देल्कै।
जे पबितर आ धरमी छेलै तकरा त अहाँसब इन्कार करलियै। महज जे आदमी खुनी छेलै ओकरा अहाँसब छोरैके माङ करलियै।
भिरके लोकसबके माङ पुरा करैके लेल पिलातस बारब्बाके छोइरदेल्कै आ येसुके कोरासे पिटके कुरूसमे लटकाइले सिपाहीसबके जिम्मा लग्यादेल्कै।
महज उसब जोरसे किलोल करैत एहेन कहल्कै, “एकरा नै! बारब्बाके छोइरदियौ।” (बारब्बा करान्तिकारी छेलै।)
महज उसब जोरसे हल्ला तोइरके कहल्कै, “यि लोक गालिलसे सुरु कैरके पुरे यहुदिया आ अते तकके सब लोकसबके आपन सिक्छासे बहकाबैछै।”
उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
तकरबाद उ बारब्बाके ओकरासबके लेल छोइरदेल्कै महज येसुके कोरासे पिटके कुरूसमे लटकाइले सिपाहीसबके जिमा लगेल्कै।
तब पिलातस ओइसबके माङ पुरा करैके निरनय सुनाइल्कै।
जब सिपाहीसब येसुके ओतेसे लजाइत खिना, उसब कुरेनीमे रहैबला सिमोन नामके लोकके पकरल्कै आ येसुके कुरूस बोक्याके ओकर पछा-पछा जाइले लगाइल्कै।
तब पिलातस येसुके कुरूसमे लटकाइले ओइसबके हाथमे सोइप देल्कै। ओहैसे सिपाहीसब येसुके ल्याके गेलै।