22 तब पिलातस तेसर बेर फेनो ओइसबके कहल्कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करने छै से? अकरा त मिरतुदन्ड दैके हमरा कोनो कारन नै भेटल, तै खातिर अकरा हम सजाय द्याके छोइरदेबै।”
तब पिलातस ओइसबके कहल्कै, “तोरौरके यि लोक जनतासबके भरकाइछै से कैहके अकरा हमर अगामे आनलिही। तोरेऔरके सामनेमे अकरा केरकार करलियै महज तोरौरके अकर उपरमे लगेल्हा कोनो दोस नै देखलीयै।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।
महज येसु खिरिस्टके निरदोस आ अनमोल लहुसे तोरासबके छुटकरा देनेछौ। उ सुध आ निस्खोट बैलभोगमे चरहाबैबला थुमा छेलै।
पिलातस येसुके छोइरदैके इक्छा करैत फेनो ओइसबके समझेल्कै।
तै खातिर आब हम अकरा दन्ड द्याके छोइर दैचियै।”
पिलातस मुल पुजारीसबके आ भिर लागल लोकसबके कहल्कै, “हमरा यि लोकमे कोनो दोस नै भेटल।”
महज सब लोकसब हल्लाकरतै रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका, कुरूसमे लटका!”
महज तैयो उसब हल्ला कैरते रहलै अकरा कुरूसमे टाङैये परतै से बात कैहते रहलै। तकरबाद ओइसबके माङके सुनबाइ भेलै।