21 महज सब लोकसब हल्लाकरतै रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका, कुरूसमे लटका!”
तब उसब जोर-जोरसे कहेलाग्लै। “ओकरा मार! ओकरा मार! ओकरा कुरूसमे लटका!” पिलातस ओइसबके पुछल्कै, “कि हम साच्चे तोरासबके रजाके कुरूसमे लटकेबौ?” मुल पुजारीसब जबाब देल्कै, “कैसर छोइरके दोसर कोइ नै हमरासबके रजा छै।”
महज तैयो उसब हल्ला कैरते रहलै अकरा कुरूसमे टाङैये परतै से बात कैहते रहलै। तकरबाद ओइसबके माङके सुनबाइ भेलै।
उसब हल्ला करैत कहल्कै, “अकरा कुरूसमे लटका!”
पिलातस येसुके छोइरदैके इक्छा करैत फेनो ओइसबके समझेल्कै।
तब पिलातस तेसर बेर फेनो ओइसबके कहल्कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करने छै से? अकरा त मिरतुदन्ड दैके हमरा कोनो कारन नै भेटल, तै खातिर अकरा हम सजाय द्याके छोइरदेबै।”
मिरतुदन्डके कोनो कारन नै भेटलै तैयो उसब येसुके मारैये परतै कैहके पिलातसके अगा माङ करल्कै,