14 तब पिलातस ओइसबके कहल्कै, “तोरौरके यि लोक जनतासबके भरकाइछै से कैहके अकरा हमर अगामे आनलिही। तोरेऔरके सामनेमे अकरा केरकार करलियै महज तोरौरके अकर उपरमे लगेल्हा कोनो दोस नै देखलीयै।
अपनासबके लेल अहिनङे परधान पुजारीके आबसेक्ता छै। जे पबितर, निरदोस, सुधछै। परमेस्वर ओकरा पापी लोकसबसे छुटियाके सबसे उपर स्वरगमे राखल्कै।
मिरतुदन्डके कोनो कारन नै भेटलै तैयो उसब येसुके मारैये परतै कैहके पिलातसके अगा माङ करल्कै,
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
जखन पिलातस येसुके बचाइबला यि उपाय असफल हैत मातरे नै बल्की अइसे उपदरब मैच जेतै देखल्कै, तै डरसे पानी ल्याके भिरके अगा आपन हाथ धोवाइत कहल्कै, “अइ लोकके लहुके दोसी हम नै चियै। तुहिसब अइ बातके जिम्मेबार हेब्ही!”
पिलातस नियाय आसनमे बैठल छेलै, तखनिए ओकर घरबाली ओकरा एहेन कैहके खबर पठेल्कै, “ओइ निरदोस लोकके कुछो नै करियौ! कथिलेकी आइ रात हम सपनामे ओकरे कारन बहुत दुख काटलियै।”
आ कहल्कै “हम केहन पापी चियै, जे निरदोस लोकके मिरतुदन्डके लेल पकरादेलियै।” महज उसब कहल्कै, “यि बात तु आपने जान, ओइसे हमरासबके कोनो लेनादेना नै छौ।”
ओतेका लोकसब थेसलोनिकेके लोकसबसे खुला बिचारके लोकसब रहै। उसब परमेस्वरके सुसमाचार एकदम धियान द्याके सुनै। पावलके कहलहा बातसब मिलैछै कि नै मिलैछै कैहके उसब हरेक दिन धरमसास्तर पढ़है आ जाँचै।