70 तब उसब येसुके पुछल्कै, “कि, तुही परमेस्वरके बेटा चिही?” येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “से बात त तुहेसब कहैचिही, हम ओहे चियौ।”
तब पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु जबाब देल्कै, “से बात त अहै कहैचियै।”
पिलातस येसुके सबाल करल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु जबाफ देल्कै, “से बात त अहै कहैचियै।”
जब येसु बडा हाकिमके अगा ठार भेलै, तब बडा हाकिम ओकरा पुछल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “अहाँ अपने कैहरहल चियै त।”
येसु ओकरा कहल्कै, “से बात अहि कैहदेलियै। तैयो हम तोरासबके कहैचियौ, एक दिन तुसब मानबके बेटाके सक्तीसाली परमेस्वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलमे आबैत देखबिही!”
यहुदी अगुवासब ओकरा जबाफ देल्कै, “हमरासबके बेबस्थाके नियम अनुसार अकरा मिरतुदन्ड दैलेपरतै कथिलेत यि आपनके हम परमेस्वरके बेटा चियौ कैहके दाबी करैछै।”
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”
महज हमरा त पिता आपन पबितर उदेस्य पुरा करैके लेल चुइनके अइ सन्सारमे पठाइने छै। आब ‘हम परमेस्वरके बेटा चियै’ त कनङके परमेस्वरके अपमान भेलै?
पिता आ हम एके चियै।”
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
हम यि सब देख्ने चियै आ गबाही दैचियै कि, ओह्या परमेस्वरके बेटा चियै।”
बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।
तब येसु कहल्कै, “हँ, हम चियै। एक दिन अहाँ मानबके बेटाके महान परमेस्वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलके सङे आइबरहल देखबिही!”
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
यि परमेस्वरमे भरोसा राखैत राखैछै। परमेस्वर अकरासे खुसी छै त अखुन बचाबे कथिलेत यि अपनेके परमेस्वरके बेटा कहैत रहै।”
तहै बखत सैतान ओकरलग आइबके कहल्कै, “साँचोके तु परमेस्वरके बेटा चिही त यि पथलसब रोटी भ्याजो कैहके आग्या कर।”
तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै।”
तब ओकरा पकराइबला यहुदा पुछल्कै, “गुरु जी, कि उ हम चियै?” येसु ओकरा कहल्कै, “तु अपने कहलिही।”
उसब कहल्कै, “आब अकर बिरोधमे हमरासबके औरो कोनो परमान नै चाही, कथिलेत अपनासब अकरे मुहसे सुइनलेलियै।”