जब हम सन्सारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।
येसु यि बातसब कहते रहलै, कि तखनिए यहुदा जे ओकर बारह गोरा चेलामेसे एकटा छेलै से एलै। ओकरसङे लाठी आ तलबार लेने लोकसबके एकटा भिर छेलै। ओइसबके मुल पुजारीसब आ अगुवासब पठेने छेलै।