50 तहै बखत चेलासबमेसे एक गोरे निकल्लै आ तरबारसे मुल पुजारीके नोकरके देहना कान काइटदेल्कै।
महज ओते ठार भेलसबमेसे एक गोरे चेला चक्कु निकालके परधान पुजारीके नोकरके कान काइटदेल्कै।
हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
तब चेलासब येसुके अगल बगल भेल्हासबके कथी हेतै से देखके उसब कहल्कै, “परभु, कि आब हमसब तलबार चलाबियै?”
महज येसु कहल्कै, “भेलै, आब अकरा छोइरदहै!” तब येसु ओइ लोकके कान छुबल्कै आ निक कैरदेल्कै।