37 हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’ यि पबितर धरमसास्तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्यारहलछै।”
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
तब उसब दुइगोरे डाकुसबके ओकरेसङे मिरतुदन्ड दैले ल्याके एलै।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै।
तब पबितर धरमसास्तर कहियो नै झुठ हैले सक्तै आ जे परमेस्वरके बचन पाबल्कै, ओकरासबके उ इस्वरसब कहल्कै।
येसु बारहो चेलासबके कातमे लेजाके कहल्कै, “सुन, आब अपनासब यरुसलेम ज्यारहल चियै। अगमबक्तासब मानबके बेटाके बारेमे लिखलाहा सबबातसब ओतै पुरा हेतौ।
कथिलेत परमेस्वरके इक्छामे मानब पुतरके त मरैए परतै, महज धिक्कार ओइ लोकके, जे कोइ मानब पुतरके धोखा देतै।”
उसब दुइटा डाकुके ओकरसङे एकटाके देहना कात आ दोसरके बमा कात कुरूसमे टाङल्कै।
तब येसु कहल्कै, “महज आबसे जकरसङे झोरा छौ, उ झोरा बोके, पैसा हैबला पैसा बोके आ जकरसङे तलबार नै छौ, उ आपन कुरता बेचके तलबार किने!
महज ओकर बिरोधमे एल्हा मुल पुजारीसब, मन्दिरके चौकिदारसब आ अगुवासबके येसु कहल्कै, “कि हम डाकु चियै, जे तुसब हमरा पकरैले लाठी आ तलबार ल्याके एलचिही?
तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
[तब अहिनङके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात पुरा भेलै, “उ अपराधीसबसङे गनल गेलै।”]