35 येसु चेलासबके कहल्कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्कै, “नै भेलै।”
तुसब रस्ताके लेल कुछो नै लेजाइजो। नै पैसाके थैली, नै झोरा, नै जुता बोक आ रस्तामे ककरो गोरलगीयो नै करिहे।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब रस्ताके लेल कुछो नै लजो। नै लाठी, नै झोरा, नै खाइबला चिज, नै टका, नै फेरैबला जमा-जोरा।
महज येसु ओकरा कहल्कै, “पतरुस, साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियौ कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
तब येसु कहल्कै, “महज आबसे जकरसङे झोरा छौ, उ झोरा बोके, पैसा हैबला पैसा बोके आ जकरसङे तलबार नै छौ, उ आपन कुरता बेचके तलबार किने!
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “बहौत जम्मा करैबलासबसङे फाजिल किछो नै रहलै आ कमे जम्मा करैयोबलासबके घटी नै भेलै।”