32 महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
तब के अपनासबके दन्ड दैले सक्तै? कोइ नै सक्तै, कथिलेत येसु खिरिस्ट अपनासबके लेल मरलै। ओतबे नै, परमेस्वर ओकरा मरलसे जियेल्कै आ अखुन परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै आ अपनासबके लेल परमेस्वरसे बिन्ती कैररहलछै।
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
ओहैसे, हे हमर पिरिय सङिसब, ओइ दिनके आसमे रहैतकाल परमेस्वरके नजरमे सुध, निरदोस आ सान्तीमे रैहके जिबन जियैले कोसिस कर।
तुसब बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके सक्तिसे सुरक्छित रहलचिही। उ मुक्ती तोरासबके खातिर तैयार करनेछौ जे अन्तिम समयमे परगट हेतौ।
पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै।
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
होसियार रह कि कोइ नै परमेस्वरके अनुगरह पाबैसे छुटे, ताकी अबिस्बासके तित जैर बैढके तोरासबके बिचमे फुट नै आने। एहैन लोक बहुतो लोकसबके असुध नै बनाबे।
“साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक तुसब मन बदैलके यि बच्चासबके मन जखा नै हेतौ ताबेतक स्वरगके राजमे कहियो नै ढुके सकबिही।
उसब अपनासबके लोक नै रहै, तहै खातिर अपनासबके छोइरके चैलगेलै। यदि उसब अपनासबके लोकसब रहतियै त आपनेसबके सङे रहतियै। उसब अपनासबके नै चियौ से बात परस्टे छै से देखाइले उसब अपनासबके छोइरके चैलगेलै।
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
तहै बखत मुरगा दोसर बेर डाँक देल्कै। तब येसुके कहल बचन मनमे याद एलै, “दुइ बेर मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही।” तब पतरुस हेकैच-हेकैचके काने लाग्लै।
आब जो, ओकर चेलासबके आ पतरुसके कैहदहै कि उ तोरासबसे अगारी गालिलमे ज्यारहल छौ आ ओतै तोरासबके भेटतौ।”
तब येसुके कहल बात पतरुसके याद परलै, “मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही।” तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्लै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके परेरितके तरफसे पोन्टस, गलातिया, कापाडोकिया, एसिया आ बिथिनिया परदेस भैर परदेसी भ्याके तितर-बितर भ्याके रहैबला परमेस्वरके छानल जनसबके यि चिठी लिखैचियै।
परमेस्वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्कै त, कि उ अपनासबके जम्मे चिज ओकरसङे नै देतै से?
हम पावल परमेस्वरके सेबक आ येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी लिखरहलचियै। परमेस्वरके चुनल लोकसबके बिस्बासमे बलगर बनाइले आ ओइसबके सतके ग्यान दैले परमेस्वर हमरा पठेल्कै। उ ग्यान परमेस्वरके इक्छा अनुसार जिबन जियैले सहायता करैछै।
उसब सच बातसे दुर भटकल घुरैछै। लोकसब मैरके जि उठैबला काम पैहने भ्यागेल्छै, कैहके कतहेक लोकके बिस्बासके बिगाइर देने छै।