29 जनङ हमर पिता हमरा राज करैले अधिकार देल्कै, तैहनङे हम्हु तोरौरके देबौ।
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
तकरबाद रजा आपन देहना कात ठारभेल लोकसबके कहतै, ‘हे हमर पितासे आसिरबाद पाबल लोकसब! ओइ राजके भोगबिलास करु, जकरा सन्सारके उतपतीएसे तोरासबके लेल तैयार करने छै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, मालिक सारा सम्पतिके जिमा ओइ नोकरके देतै।
ताब येसु चेलासबके कहल्कै “हे हमर छोट जेर, नै डेरा! कथिलेत परमेस्वर तोरासबके आपन राज दैले खुसिसाथ तयार भेलछौ।
तब उ ओकरा कहल्कै, ‘चाबस तु हमर असल सेबक चिही, कथिलेत छोट चिजमे बिस्बास करलिही। आब तोरा दस सहरसबमे अधिकार देबौ।’
जब परधान चरबाहा परगट हेतै, तब तुसब सबदिन चम्कैबला मुकुट पाबबिही जकर सोभा कहियो नै घटतौ।
खेलमे भाग लेबेबला खेलारी सब बातमे अनुसासनमे रहैले परैछै। उसब नास हैबला मुकुटके लेल एहेन करैछै, महज हमसब नास नै हैबला मुकुटके लेल एहेन करैचियै।
तोरासबके बिसयमे हमरासबके आसा एकदमसे अटल छै। कथिलेकी हमरासबके थाहछै कि, तुसब हमरासबके जखा भोगल दुख भोगैचिही, तहिनङे हमरासबके भेटल सान्तबना जखा तुहुसब सान्तबना पाबबिही।
ओइ सहरके देबालके बारहटा जग छेलै आ ओइमे थुमाके बारह परेरितसबके नाम लिखल छेलै।
धैनके चियै आपनके आत्मिक रुपमे कमजोर बुझैबलासब, कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
धैनके चियै धारमिकताके खातिर सताबट भोगैबलासब, कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
मालिक कहल्कै, ‘स्याबास! तु असल आ बिस्बास योग्य नोकर चिही। थोरबे चिजमे तु बिस्बास योग्य रहलिही। आब हम तोरा बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरासङे आनन्द मना।’