26 महज तोरासबमे एहेन नै हेबे। तोरासबमेसे जे सबसे बरका छौ, से कोइ सबसे छोट बने आ जे कोइ अगुवाइपनि करैछै, सेकोइ नोकर नहाइत सेबा करे।
तहिनङे जबानसब, बुढ लोकसबके अधिनमे रह। तुसब नम्र भ्याके एक दोसरके सेबा कर। कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “परमेस्वर घमन्डी लोकसबके बिरोध करैछै, महज नम्र लोकसबके अनुगरह करैछै।”
तोरासबके जिम्मामे देल बिस्बासीसब उपर हुकुम नै चला महज ओइसबके लेल एकटा उदाहरन बन।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
तब येसु बैठलै आ आपन बारहो चेलासबके बोल्याके कहल्कै, “जे बरका हैले इक्छा करैछै त, ओकरा सबसे छोट बने परतै आ सबके सेबक हेबेपरतै।”
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
महज तोरासबके बिचमे एहेन नै हेबे। बल्की, तोरासबमेसे जे पैध हैके इक्छा करैछौ, उ तोरासबके सेबक बने।
महज तोरासबमे एहेन नै हेतौ, जे तोरासबमेसे पैध हैके इक्छा करतौ, ओकरा तोरेसबके सेबक हेबेपरतै।