20 ऐहनङे ख्यालेलाके बाद उ बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “यि बाटी तोरौरके खातिर हमर लहुसे बान्हल लबका करार चियौ। यि लहु तोरेऔरके खातिर बह्याल गेल छौ।
तहिनङे रोटी खेलाके बाद बाटी लेल्कै आ कहल्कै, “परमेस्वर आ लोकके बिचमे समबन्ध अस्थपना करैबला यि हमर लहु चियौ। जहिया-जहिया तुसब यि पिब्ही, तहिया-तहिया हमर सम्झनामे एहेन कैरते रह।”
यि परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे समबन्ध बनाबैबला हमर लहु चियै, जे बहुतो लोकसबके पापसे छमा पाबैके लेल बह्याल ज्यारहल छै।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
जाबेकत इक्छा पतर दैबला लोक जिबित रहैछै ताबेतक इक्छा पतर काम नै करैछै। इक्छा पतर दैबला लोक मरलाके बाद मातरे इक्छा पतर काम करैछै।
ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
उ ओइसबके कहल्कै, “यि परमेस्वर आ लोकके बिचके समबन्ध अस्थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै।