महज तोरासबके कोइयो नै कोनो परकारसे धोखा देबे। कथिलेत परमेस्वरके बिरोधमे बहौत बरका बिरोध नै हेबे तलिक आ नास हैबला बेबस्था भङ करैबला लोक नै आबैतलिक परभुके दिन नै एतै।
तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही।
कि अधरमी लोकसब परमेस्वरके राजमे ढुकैले नै सक्तै कैहके तोरासबके थाह नै छौ? अइ बातके गम्भिर रुपसे ले आ तुसब आपनेके धोखा नै दहै, कथिलेत अनैतिक काम करैबला, मुरतिपुजा करैबला, बेबिचार करैबला, समलिङगिसब, पुरुखगामीसब,