27 तकरबाद मानब पुतरके सक्ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्तौ।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
“तकरबाद मानबके बेटा आबैके चेन्हा अकासमे देखा परतै। पिरथिबीके सब जातीसब कना रोहैट करतै आ मानबके बेटाके बादलमे सक्ती आ बरका महिमाके सङे आबैत देखतै।
तकरबाद लोकसब मानबके बेटाके सक्ती आ महिमासङे बादलमे आबैत देखतै।
येसु ओकरा कहल्कै, “से बात अहि कैहदेलियै। तैयो हम तोरासबके कहैचियौ, एक दिन तुसब मानबके बेटाके सक्तीसाली परमेस्वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलमे आबैत देखबिही!”
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
तब हम एकटा उजर बादल आ ओइ बादलमे मानबके बेटा जखा एकटा लोक बैठल देखलियै। जकर मुरीमे सोनाके मुकुट छेलै आ हाथमे एकटा चोख हसुवा छेलै।
सन्सारमे हैले आबैबला घटनासबके समैझके लोकसब मुरछा परतौ, कथिलेत अकासके सक्तिसब थर-थर कापे लाग्तौ।