17 हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।
यदी तुसब अइ सन्सारके रहतिही त, सन्सारके लोकसब तोरा आपन कैहके परेम करतियौ। महज तुसब अइ सन्सारके नै चिही। हम तोरासबके सन्सारसे चुनलियौ, ओहैसे अइ सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना करैछौ।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
ओहैसे खिरिस्टके खातिर कमजोरीमे, बदनामीमे, कठिनाइमे, सताबटमे, आपत-बिपतमे हम सन्तुस्ट चियै। कथिलेकी जब हम कमजोर हैचियै, तब हम सक्तिसाली हैचियै।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
हमरा थाहछै, तुसब धिरज कैरके सहन करनेचिही आ हमर नाउके खातिर कस्ट पाबियोके हमरा नै त्यागने चिही।
कथिलेकी खिरिस्टके लेल तोरासबके यि देलगेलछौ, कि तुसब ओकरमे बिस्बास मातरे कैरके नै महज ओकर खातिर दुख सेहो भोगैले परतौ।
अपनासबके यि मरैबला देहमे येसुके जिबन देखा परे कैहके हमसब जिबित रहितो ओकरलेल सबदिन मिरतुके मुहमे परैत रहैचियै।
हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै।
तब हमर नामके खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही आ जे अन्ततक स्थिर रहतै उ उदार पाबतै।”
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।
खिरिस्टके पछा चलैके कारन तोरासबके अपमान करैछौ त, तुसब धन्यके चिही, कथिलेकी परमेस्वरके महिमीत आत्मा तोरासबमे रहैछौ।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
“धैनके चिही तुसब, जब लोकसब हमर खातिर तोरासबके अपमान करतौ, सताइतौ आ झुठ बाइज-बाइजके तोरासबके बिरोधमे सब तरहके अधलाह बात कहतौ।
हमसब आपने बारेमे परचार नै करैचियै, महज येसुके खातिर हमसब तोरासबके सेबक भ्याके, येसु खिरिस्टे परभु चियै कैहके परचार करैचियै।
महज तोरासबके माँ-बाबु आ भाइ-भैयारीसब, कर-कुटुमसब आ साथी-भाइयोसब तोरासबके पकरादेतौ आ तोरेसबमेसे ककरो-ककरो माइरयोदेतौ।
महज तैयो तोरासबके मुरके एकोटा केस तक नै उखरतौ।