16 महज तोरासबके माँ-बाबु आ भाइ-भैयारीसब, कर-कुटुमसब आ साथी-भाइयोसब तोरासबके पकरादेतौ आ तोरेसबमेसे ककरो-ककरो माइरयोदेतौ।
बापके बिरोधमे बेटा आ बेटाके बिरोधमे बाप, महताइर बेटीके बिरोधमे आ बेटी महताइरके बिरोधमे, तैहनङे सौस आपन पुतौहके बिरोधमे आ पुतौह सौसके बिरोधमे उठतै।”
तकरबाद थुमा पाँचम लाहटके तोरल्कै, तब बेदीके निचा हम ओइसबके आत्मासबके देखलियै, जकरा परमेस्वरके बचन सुनेलाके खातिर आ ओकर बारेमे गबाही देलाके खतिर काइटके मुवाइने छेलै।
थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै।
हमरा थाहछै, तुसब सैतानके सिंहासन भेल ठाममे रहैचिही, तैयो तुसब हमर नाममे अस्थिर रहैचिही। तुसब हमर भक्त चिही आ हमरा बिस्बास करैले नै छोरनेचिही से हमरा थाहछै। हमर बिस्बासी साक्छी एन्टिपास सैतान रहैबला ठाममे मारलगेलै, ओहु समयमे बिस्बास करैले नै छोरलिही।
उ युहन्नाके भैया याकुबके तरबारसे मारे लगाइल्कै।
जैहनङ उसब स्तिफनस उपर पथल मारैत खिना एहेन कहैत परथना करैतरहै, “हे परभु येसु, हमर आत्माके सुइकारु।”
“महज एक भाइ दोसर भाइके मिरतुके लेल सोप्तौ आ बाबु बेटाके, बेटाबेटीसब आपन माँ-बाबुके बिरोधमे खरा भ्याके मारे लगाइतौ।
“एक भाइ दोसर भाइके, बाबु आपन धियापुताके आ धियापुता आपन माँ-बाबुके बिरोधमे उठतौ आ एक-दोसरके मारे लगाइतौ।
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।