12 “महज यि सबबातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्याके जिमा लग्यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठडा करतौ।
परभुके आदरके खातिर अधिकारीसबके अधिनमे रह, चाहे सबसे उपरमे रहैबला रजा हेबे,
तकर बिहानके यहुदीसब पावलके कथिले दोस लगारहलछै, से बातके पता लगाइले सेनापती चाहैछेलै। तै खातिर उ मुल पुजारी आ महासभाके सब सदससबके बोल्याके जम्मा हैले आदेस देल्कै आ पावलके लज्याके सबके अगा ठार करल्कै।
उ भुइयामे खैसपरलै आ तखुन्ते एकटा एहेन अबाज सुनल्कै, “साउल, साउल, तोहे कथिले हमरा सताबैचिही?”
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।
तब महासभाके सदससब गमलिएलके सल्लाह मानल्कै। तब उसब परेरितसबके भितर बोल्याके मारपिट करल्कै आ “येसुके नाममे नै बोलिहे” कैहके आग्या द्याके ओइसबके छोइरदेल्कै।
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
यीसब त कस्टके सुरुवात मातरे चियै।
बरका-बरका भुमकौन हेतौ। जतेततै भुखमरी आ महामारी फैल्तौ, आतङक मचतौ, तब अकाससे बरका-बरका चेन्हासब हेतौ।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।