5 तब उसब एकदोसरसे बात-चित करे लाग्लै, “परमेस्वरसे कहबै त, ‘कथिले नै तुसब युहन्नाके बिस्बास करलिही?’ से बात उ कहतै।
जखुन युहन्ना आपन काम ओराबे लाग्लै तखुन कहल्कै, ‘तुसब हमरा जे बुइझ रहलचिही, से हम नै चियौ। महज हमरसे पछा एक गोरा आबैछौ, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकर नै चियै।’
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
उसब युहन्ना लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, यरदन लदीके ओइपार जे अहाँसङे रहै, जकर बारेमे अहाँ गबाही देने रहियै, से बप्तिस्मा द्यारहलछै आ सब गोरा ओकरे लग जाइछै।”
हम यि सब देख्ने चियै आ गबाही दैचियै कि, ओह्या परमेस्वरके बेटा चियै।”
ओकरे बारेमे हम कहने छेलियौ, ‘हमरसे पछा एक गोरा आबैछौ, उ हमरसे महान छै कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै।’
तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्लै, “अपनासब रोटी नै आन्लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।”
युहन्नाके बप्तिस्मा दैके अधिकार परमेस्वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?” तब उसब आपनेमे छलफल करे लाग्लै, “अदी ‘स्वरगसे’ कहबै त ‘तुसब ओकर उपर कथिले बिस्बास नै करलिही’ कैहके कहतै।
युहन्नाके बप्तिस्मा दैके अधिकार परमेस्वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?”
‘मानबसे’ कहबै त, सब लोकसब मिलके पथल बरसाके हमरासबके माइरदेतै, कथिलेत युहन्ना अगमबक्ता छेलै से उसब बिस्बास करैछै।”