35 महज ओइ जुगतक पौहुचैके योग्य ठहरल लोकसब आ मैरके जि उठैके योग्यके हैबलासब बियाह नै करैछै आ नै कराइछै।
परमेस्वरके धारमिक इन्साफके परमान यह्या चियै कि तुसब परमेस्वरके राजमे जाइके योग्य बन। तुसब ओहै राजके खातिर दुख सहैचिही।
आ चिहानसे बाहर निकैलके एतै। निक काम करैबलासब अनन्त जिबनके लेल आ दुस्ट काम करैबलासब अनन्त दन्डके लेल जि के उठतै।
आ जे मानबके बेटाके बिरोधमे नै निक बोल्तै त ओकर पाप छमा हेतै, महज जे पबितर आत्माके बिरोधमे नै निक बोल्तै त, ओकरा नै अइ युगमे नै आबैबला युगमे छमा हेतै।”
हम्हु उसब जखा परमेस्वरमे धरमी आ अधरमी दुनु मरलाके बाद फेनो जिबित हेतै तैमे आसा राखैचियै।
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
महज सारडिसमे कतहेक एहेन लोकसब छै, जे आपन बिस्बासके बस्तर जखा पापसे मैल नै बनाइनेछै। उसब हमरसङे उजर बस्तर लगाके चल्तै कथिलेकी उसब अनङ करैके योग्य छै।
जनिसब आपन पिरिय मरलहा लोकसबके पुनरुथान दुवारा फेनसे जिबित पाबल्कै। कतहेक लोक त मिरतुके बाद औरो असल जिबनके आसमे छुटकरा पाबैसे त बरु मिरतु सहैले रोजल्कै।
तब येसु उसबके कहल्कै, “तुसब भरममे परलचिही, कथिलेत तुसब नै त पबितर धरमसास्तर जानैचिही, नै त परमेस्वरके सक्तीके?
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब भरममे परलचिही। तुसब पबितर धरमसास्तर आ परमेस्वरके सक्तीके बारेमे नै जानैचिही।
तब येसु ओइसबके आपनलग बोल्याके कहल्कै, “तोरौरके जानैचिही कि आनजातमे सासन करैबलासब मनमानी करैछै आ पैध लोकसब ओकरासबके उपर अधिकार जमाबैछै।
“यि बात थाह पाइबके ओकर मालिक ओइ बैमान मुन्सीके चाबसी देल्कै कथिलेत उ चलाकिसे काम करने रहै। कथिलेकी दुनियाके लोक आपनसङे औरो लोकसबसे बेबहार करैतखिना इजोतके धियापुतासे बेसी चलाक छै।