26 लोकसबके सामने उसब ओकरा बातमे फसाइले नै सक्लै आ ओकर जबाब सुइनके आस्चरज मानल्कै आ चुपचाप रहलै।
उसब येसुके पकरैले मौका ताके लाग्लै आ आपनके धरमी कहाइबला जासुससबके ओकरलग पठाइल्कै। येसुके ओकरे कहलहा बातमे ओकरा फसाके रोमी सासकसबके हाथमे फसाइके दाउमे उसब छेलै।
कथिलेकी बहुतो एहेन लोकसब रहै जेसब अगुवासबके अधिनमे रहैले नै मानै, बेरथके बात करै आ दोसरके धोखा दैछै। खास कैरके त खतना हैकेचाही कहैबलासब ओहेन हैछै।
बेबस्थाके बात त बेबस्थाके अधिनमे रहैबला लोकसबके लेल चियै कैहके हमरासबके थाहछै। ओहैसे परमेस्वर सन्सारके नियाय करैतखिना हम पाप नै करनेचियै कैहके बहाना बनाबे नै सक्तै।
येसुके यि जबाब सुइनके ओकर बिरोधीसब लाजमे परलै। महज ओकर आस्चरजके करलाहा काम देखके औरो लोकसब खुसी भेलै।
येसु सदुकीसबके चुप लगेल्कै कैहके जब फरिसीसब सुनल्कै, तब फरिसीसब ओकरलग जमा भेलै।
येसुके जबाफ सुइनके उसब चकित रैहगेलै आ उसब ओतेसे चैलगेलै।
तब रजा ओकरा पुछल्कै, ‘यौ, सङी! अहाँ बियाह भोजमे पिन्हैबला बस्तर नै पिन्हके कनङके भितर एलियै?’ महज उ कुछो कहैले नै सकल्कै।
जब येसु यि बातसब सुनल्कै तब आस्चरजमे परलै आ आपन पछा लागैबला लोकसबके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्बास करैबला लोक त हम इजराएली लोकसबमे नै भेटेलियै।
आ ओकर मुहसे गलत बात निक्ले कैहके उसब पकरैके बहाना खोजे लाग्लै।