17 तब येसु ओइसब दिसन एकटक लग्याके ताकैत कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे लिखल यि बातके अरथ कथी चियै त? ‘जै पथलके घर बनाबैबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेहे जगके मुल खम्हा बन्लै।’
उ ओहे पथल चियै, ‘जे पथलके अहाँ मिसतिरीसब बेकार समैझके छाइटदेने छेल्ही, ओह्या पथल अखुन जगके मुल खम्हा भेल छौ।’
तब येसु उसबके कहल्कै, “कि तुसब पबितर धरमसास्तर नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै, यि काम परमेस्वर करने छै आ अपनासबके नजरमे आस्चरजके बात छै।’
तुसब पबितर धरमसास्तरमे नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै,
हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’ यि पबितर धरमसास्तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्यारहलछै।”
महज ‘उसब हमरा बिना कारन घिरना करल्कै’ कैहके ओइसबके बेबस्थामे लिखल बचन पुरा हैकेलेल यि सब भेलै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”
तब येसु घुइमके पतरुस दिसन ताकल्कै। “आइ मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही” परभुके कहलाहा बचन पतरुसके मनमे याद एलै।
तब येसु चारुदिसन ताइकके आपन चेलासबके कहल्कै, “धनिक लोकसबके परमेस्वरके राजमे आबैले बहुत कठिन हैछै।”
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
जब येसु यरुसलेमके नजदिक पहुचलै तब उ सहरके देखके ओकर मन कलपलै आ कहल्कै,
परेरित आ अगमबक्तासबके खुनल जगमे बनल घर तुसब चिही। यि जगके मुल खम्हा येसु खिरिस्ट आपने चियै।
कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “देख! सियोनमे हम चुनल एकटा बहौत मोलके कोनाके पथल राखैचियौ। ओकरमे बिस्बास करैबला कहियो नै लाजमे परतै।”