10 जब अङगुर फैरके पाके लाग्लै तब अङगुर लैले फुलबारीके मालिक आपन एकटा नोकरके बटिदार लग पठाइल्कै, महज बटिदारसब ओकरा मारपिट कैरके उन्टे छुच्छे हाथ पठादेल्कै।
अहैलेल हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब खिरिस्टसङे बेबस्थाके लेल मरल चिही त तुसब सेहो खिरिस्टेसङे मरलसे जिबित भ्याके एक भेलचिही, ताकी अपनासब परमेस्वरके लेल असल काम करैले सकी।
तुसब हमरा नै चुनलिही, महज हम तोरासबके चुनलियौ। आब जो आ सबदिन रहैबला फल फराइहे कैहके हम तोरासबके चुनलियौ। तहैलेल तुसब हमर नाममे पितासे जे कुछ माङबिही उ तोरासबके देतौ।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
तब येसु लोकसबके यि खिसा कहल्कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्कै आ उ खेत बटिदारके बटियामे द्याके उ अपना बहुतदिनके लेल बिदेस चैलगेलै।
मालिक फेनो दोसर नोकरके पठाइल्कै, महज उसब ओकरो माइर पिटके बेजत कैरके छुच्छे हाथ पठादेल्कै।