21 आठमा दिनमे बालकके खतना भेलै तब ओकर नाम येसु राखल्कै, जे नाम मरियमके देहभारी हैसे पहिने स्वरगदुत देनेरहै।
जब बालक आठ दिनके भेलै, उसब खतना करैले गेलै। उसब ओकर बाबुएके नाम जखा जकरिया राखैले सोच्ने छेलै।
देख, आब तोहर देहभारी हेतौ आ तु एकटा बेटाके जलम देबही आ ओकर नाम येसु राखबिही।
उ मानबके रुप धारन कैरके आपनके नम्र बनाइल्कै आ मिरतु तक मातरे नै, कुरूसके मिरतु तक आग्याकारी भ्याके रहलै।
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
मरियमके बेटा नै जल्मै तक योसेफ ओकरसङे नै सुतलै। जब बालकके जलम भेलै तब योसेफ ओकर नाम येसु राखल्कै।
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”