1 ओइ बखत रोमी महराज अगस्टस हुकुम करैत कहल्कै राज भैरके सबलोकके नाम लिखाके दरता करैले परतौ।
रोमी महराज तिबेरियस राज करला पन्दरह बरिस भेल छेलै। ओइ बखत पन्तियस पिलातस यहुदिया इलाकाके बडा-हाकिम छेलै। हेरोद गालिल इलाकामे राज करैछेलै, ओकर भाइ फिलिप इतुरिया आ तराखोनितिस इलाकामे राज करैछेलै। अबिलेने इलाकामे लुनियास गामके लोक राज करैछेलै।
परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्सारके अन्त हेतै।
महज पावल कैसरसे फैसला करल जाय कैहके बिन्ती करलाके कारन ओकरा कैसर लग नै पहुचाबै तक पहरामे राखैले आदेस देलियै।”
सब पबितर लोक आ खास कैरके रोमी सरकारके दरबारमे भेल सबलोक तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
उसबमेसे अगाबस नाम भेल एकटा लोक खरा भ्याके पबितर आत्माके अगुवाइमे भबिसबानी करैत बाज्लै, “सरा सन्सारमे रौदी हेतौ।” (उ रौदी क्लौडियसके पालीमे भेलै।)
अगर हम कोनो अपराध करनेचियै त हम मरैले तयार चियै। महज उसब जे आरोप हमरा लगारहलछै तैके कोनो परमान नै छै त हमरा कोइ नै उसबके हाथमे सोपैले सक्तै। हम बडा-हाकिम कैसरसे बिन्ती करैचियै।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, दुनिया भैरमे जते-जते हमर सुसमाचार परचार करलजेतै, तते-तते यि जनी जे करने छै तकर करल कामके चरचा करलजेतै।”
अहैले आब हमरासबके यि कहु, कि रोमी सरकारके कर तिरनाइ उचित छै कि नै?”
नाम दरता कराबैले सब लोकसब आपन-आपन पितापुरखाके गाम आ सहरमे गेलै।
नाम लिखाबैले उ आपनसङे मङनी भेल्हा मरियमके सङे लके गेलै। ओइ बखत मरियमके देहभारी छेलै।