5 जब येसु ओइ ठाममे पुग्लै, तब उ उपर दिसन ताकैत कहल्कै, “ए जक्कैया, झटसिना निचा उतर। कथिलेत आइ हमरा तोहर घरमे मेजवानी रहैके छै।”
देख, हम केबारके देहरीमे ठार भ्याके ढकढकाइबौ। कोइ हमर सोर सुनके केबार खोइलदेतै त, हम ओकर कते भितर एबै आ ओकरसङे भोजन खेबै आ उ हमरसङे भोजन खेतै।
येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “जे हमरा परेम करैछै, से हमर बचन पालन करैछै। हमर पिता ओकरा परेम करतै तब हमर पिता आ हम ओकरलग ज्याके ओकरसङे रहब।
परदेसीसबके सेबा-सत्कार करैले नै बिसर, कथिलेकी अहिनङ कैरके कोइ कोइ थाहे नै पाइबके स्वरगदुतसबके अथिती सत्कार करने छै।
तब नथानेल पुछल्कै, “अहाँ हमरा कनङके चिन्हलियै?” येसु जबाब देल्कै, “फिलिप तोरा बोलाइसे पैहनैये हम तोरा अन्जिरके गाछतरमे रहैत खिना देखने छेलियौ।”
तुसब बिस्बास करलासे खिरिस्ट तोरासबके हिरदयमे बास करतौ आ ओकर परेममे तोरासबके जैर बरहैत आ बलगर हैत ज्या कैहके हम परथना करैचियौ।
कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हाके ताकैले आ बचाइले एलछै।”
हमसब परमेस्वरसङे काम करैबलासब भेलाके कारन तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि परमेस्वरसे भेटल अनुगरहके बेरथमे जाइले नै दहै।
ओइ सहरमे जक्कैया नामके एकटा लोक रहै। उ बटी उठाइबलाके परमुख छेलै आ धनिक छेलै।
तै खातिर उ येसुके देखैले अगा दिसन दौरके एकटा कदमके गाछीमे चहरलै। कथिलेत येसु ओहै रस्ता हैत जाइ छेलै।
जक्कैया झटसिना निचा उतैरके एलै आ खुसिसाथ येसुके आपन घरमे स्वागत करल्कै।