29 जब उ बेथफागे आ बेथानी लगके जैतुन पहारमे पुग्लै, तब आपन चेलासबमेसे दुइ गोराके बोलाइल्कै आ एहेन कैहके पठाइल्कै,
तब येसु उसबके ओहै ठाममे छोइरके सहरसे बाहर गेलै आ बेथानिया गाममे ज्याके रात रहलै।
तब उसब जैतुन नामके पहारसे यरुसलेम घुइमके एलै। यरुसलेमसे यि पहार लगभग एक किलोमिटर जतेक दुर परैछै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके बेथानिया गाम दिसन ल्यागेलै आ आपन दुनु हाथ उठाके उसबके आसिरबाद देल्कै।
तकरबाद येसु सबदिन जखा बाहर निकैलके जैतुन पहारमे गेलै आ चेलोसब ओकर पछा-पछा गेलै।
येसु सबदिन मन्दिरमे सिक्छा दैछेलै आ रातके जैतुन पहारके टुप्पीमे ज्याके रात बिताबै छेलै।
येसु यरुसलेमके लगेमे जैतुन पहारके ढरकाहमे एलै। चेलासबके भिर आपनेसे देखलाहा सब सक्तिसाली कामसबके लेल परमेस्वरके जोर जोरसे परसन्सा करे लाग्लै।
“उ सामनेके गाम जो, जब गाम भितर जाइले लागबिही तब तोरासबके जाइते-जाइते टोलमे डगहर कात एकटा गदहा बान्हल भेटतौ, तै गदहामे अखुनतक कोइ नै चरहल छै। तकरा खोइलके हमरलग आन।