17 तब उ ओकरा कहल्कै, ‘चाबस तु हमर असल सेबक चिही, कथिलेत छोट चिजमे बिस्बास करलिही। आब तोरा दस सहरसबमे अधिकार देबौ।’
तब येसु कहल्कै, “अगर जे छोट बातमे इमान्दार छै त, उ बरका बातमे इमान्दार हेतै आ जे छोट बातमे बैमान छै त, उ बरको बातमे बैमान हेतै।
मालिक कहल्कै, ‘स्याबास! तु असल आ बिस्बास योग्य नोकर चिही। थोरबे चिजमे तु बिस्बास योग्य रहलिही। आब हम तोरा बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरासङे आनन्द मना।’
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
जब परधान चरबाहा परगट हेतै, तब तुसब सबदिन चम्कैबला मुकुट पाबबिही जकर सोभा कहियो नै घटतौ।
तहैले परमेस्वरके चुनलहा लोकसबके खातिर हम सबचिज सहैचियै, ताकि ओहोसब येसु खिरिस्टके मुक्ती पाबे आ अनन्त महिमामे सहभागी हैलेसके।
साँचो यहुदी त हिरदयके भितरसे परमेस्वरके अगा सत ठहरैले परतै। तब साँचो खतना त देहके बाहरमे लगाइबला खतना नै महज परमेस्वरके आत्मा पाइबके हिरदय भितरेसे परिबरतन होनाइ चियै। एहेन लोक, लोकसबसे नै महज परमेस्वरसे आदर पाबैछै।
तब तुसब हमर राजमे हमरे सङे-सङे खेबही, पिब्ही आ इजराएलके बारहो कुलके नियाइ करैले राज गद्दीमे बैठबिही।”
तब पहिने एकटा नोकर आइबके कहल्कै, ‘मालिक, अहाँके टकासे औरो दस टका कमाइल्यै।’
फेनो दोसर आइबके कहल्कै, ‘मालिक, हम अहाँके टकासे औरो पाँच टका कमाइल्यै।’