13 तब उ जाइसे पहिने दसोटा नोकरसबके बोल्याके एक एक टका सबके देल्कै आ कहल्कै, ‘जाबेतक हम घुइमके नै एबौ ताबे तक अहै टकासे बेपार करिहे।’
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
हम याकुब, परमेस्वर आ परभु येसु खिरिस्टके सेवक यि चिठी चारुदिसन तितर-बितर भेल्हा यहुदी खिरिस्टीयनसबके लिखैचियौ। तोरासबके हमर गोरलगीछौ।
कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै या परमेस्वरके? कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै? यदि हम लोकसबके खुसी करने रहतियै त हम खिरिस्टके सेबक नै हेतियै।
पाँचटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर तुरन्त बेपारमे लगाइल्कै आ ओहैसे पाँचटा औरो सोनाके डलर कमाइल्कै।
पाँचटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर आइबके मालिकके कहल्कै, ‘देखु, अहाँ हमरा पाँचटा सोनाके डलर देने छेलियै, ओइसे हम औरो पाँचटा सोनाके डलर कमाइलियै।’
जे दुइटा सोनाके डरल पाबने छेलै सेहो आइबके कहल्कै, ‘मालिक, अहाँ हमरा दुइटा सोनाके डलर देने छेलियै, देखु, हम औरो दुइटा सोनाके डलर कमाइलियै।’
“तब एकटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर आइबके कहल्कै, ‘मालिक, हम जानैचियै कि अहाँ कठोर मनके लोक चियै। अहाँ जे चिज नै छिटैचियै, ओकरे कटनी करैबला लोक चियै आ जे राखैले नै दैचियै ओहे माङैचियै।
तब उ कहल्कै, “एक गोरे खन्दानी लोक रजा बैनके एबै से कैहके कोनो दुरके देसमे गेलै आ आपन देस घुमके एलै।
महज देसके परजासबके ओकर बात निक नै लाग्लै, तै खातिर उसब ओकर पछा-पछा दुतसबके पठाइल्कै आ कहल्कै, ‘यि लोक हमरासब उपर राज करे से हमसब नै चाहैचियै।’