22 यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्वरगमे धन मिल्तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
महज एकेटा बातके जरुरी छै, जे मरियम छान्नेछै। जे ओकरसे कोइ नै छिने सक्तै।”
महज पिरियसब, एकटा बात कहियो नै बिसराइहे कि, परभुके लेल एक दिन हजार बरिस जखा आ हजार बरिस एक दिन जखा चियै।
हे भाइ-भैयासब, हम लक्छमे पुइग गेल चियै से नै लागैये, महज हम एकटा काम करैचियै, कि पहिन्का बातसब बिसैरके अगा आबैबला लक्छमे पुगैले कोसिस करैचियै।
तब येसु सब लोकसबके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ सबदिन आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
उ लोक जबाफ देल्कै, “हम त यि आग्यासब छोटेसे पालन कैरते आबैचियै।”
महज यि बात सुइनके यहुदी सासक उदास भेलै, कथिलेत उ बहुत बरका धनिक छेलै।