13 “महज उ बटी उठाइबला लोक दुरे ठार भ्याके स्वरग दिसन आँखके पलकियो नै मारके आपन छाति पिट-पिटके कहल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम पापी उपर दया करु!’”
यि बात सत चियै आ सुइकार योग्य छै कि येसु खिरिस्ट पापीसबके बचाइके लेल अइ सन्सारमे एलै। ओइ पापीसबसे बेसी पापी हम चियै।
तब ओइठाम यि घटना देखैले एल लोकसब सबचिज देखैत छाति पिट-पिटके कानैत घुइमके घर दिसन गेलै।
हम ओकरासबके करल सब अपराध छमा कैरदेबै आ ओइसबके पाप फेनसे हम कहियो नै याद करबै।”
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
महज अपनासब पापी भेल बखत खिरिस्टके अपनासबके लेल बलिदान द्याके परमेस्वर अपनासबके लेल महान परेम देखेल्कै।
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”
परमेस्वरसे एल दुखसे तोरासबमे केहेन उत्साह जगाइल्कौ, ओइके याद कर। आपनेके निरदोस साबित कराइके लेल केहेन उत्सुकता छौ। केहेन डाह, केहेन डर, केहेन पियास, केहेन जोस, नियाय हैकेलेल केहेन चाह छौ! सब बातमे तुसब आपनेके निरदोस साबित करनेचिही।
तुसब परभुके कहल बातके अरथ ज्याके सिख, ‘हम बैल भोग नै महज दया चाहैचियौ।’ कथिलेत हम धरमीसबके नै, महज पापीसबके बोलाइले एलचियौ।”
येसु एकटा गाममे ढुकै बखत ओते दस गोरा कोढि-कुस्टी लागल बिमारसे ओकर भेट भेलै। दुरेमे ठार भ्याके उसब
“जब तुसब परथना करैचिही त, तखुन कपटी जखा नै बन, कथिलेत उसब सभाघरसबमे आ रस्ताके कात-करौतके लोकसब देखे कैहके ठरा भ्याके परथना करैछै। साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके आपन इनाम मिलगेलछै।
फिलिप आ बारथोलोमाइ, थोमा आ बटी उठाइबला मती, अल्फयासके बेटा याकुब आ थेदियस,
जखुन तुसब परथनाके लेल खरा हेब्ही, तब ककरो बिरुधमे तुसब कुछो छौ त ओकरा माफ कर, जै से तोहर पिता जे स्वरगमे छौ सेहो तोहर अपराध माफ कैरदेतौ।
तब येसु ओइसबसे कन्हिक दुर गेलै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करे लाग्लै,