16 “बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
कथिलेत युहन्ना धारमिकताके रस्ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्बास नै करलिही।”
तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारे धरमसास्तरमे मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”
अबराहम कहल्कै, ‘मोसा आ अगमबक्ताके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बातके नै मान्तौ आ नै सुन्तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्बास नै करतौ।’”
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
तहिनङ येसुके दुख काटे परतै कैहके परमेस्वर अगमबक्ताके मुहसे करल अगमबानी पुरा करल्कै।
महज अबराहम कहल्कै, ‘ओकरौरके सङे मोसा आ अगमबक्तासबके लिखल पबितर धरमसास्तरसब छौ त, ओकरे मानतौ त नै हेतौ!’
‘हमरासबके गोरमे लागल यि सहरके गरदासहित तोरासबके बिरुधमे झारैचियौ आ तुसब यि जान कि परमेस्वरके राज लग आइबगेलछौ!’
ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’
ओहै बखतसे येसु परचार करैत कहेलाग्लै, “पस्चाताप कर कथिलेत स्वरगके राज नजदिक आइब गेल्छौ।”
येसु ओकरासबके परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैले आ बिमारसबके निक करैले पठाइल्कै।
जब युहन्ना जहलमे परलै तब येसु गालिल इलाकामे गेलै आ परमेस्वरके सुसमाचार परचार करल्कै।
‘स्वरगके राज नजदिक आइबगेल छै’ से परचार करैत जो।
ओहैसे फरिसीसब एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “आब तुसब कुछो करे नै सकैचिही। देख, सारा दुनिया ओकर पछा लाइग गेलछै!”
यदि यि लोकके अहिनङे छोइरदेबै त सबलोक ओकरे बिस्बास करतौ। तब रोमीसब आइबके अपनासबके मन्दिर आ देस दुनुके बिनास कैरदेतौ।”
महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करे लाग्लै। तैल्याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्त रुपमे आबैले नै सक्लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
कोनो भि चिज मुह भितर ढुकैछै उ चिज लोकके असुध नै करैछै, महज जे बात मुहसे बाहर निकलैछै, ओहे बात लोकके असुध करैछै।”
कथिलेत परमपरभुके एकटा दुत समय समयमे पोखैरमे आइबके पानीके हिल्यादैछेलै आ पानी हिलैत मातर जे सबसे पहिने पानीमे जाइछेलै, ओकरमे भेल सब परकारके रोग-बिमार निक भ्याजाइछेलै।]